झारखण्ड वाणी

सच सोच और समाधान

त्रिवेणी कान्त ठाकुर साहित्य पुरस्कार(मैथिली)क घोषणा:गिरिजानन्द झा’अर्धनारीश्वर’

त्रिवेणी कान्त ठाकुर साहित्य पुरस्कार(मैथिली)क घोषणा:गिरिजानन्द झा’अर्धनारीश्वर’

हजारीबाग:त्रिवेणी कान्त ठाकुर मेमोरियल ट्रस्ट हजारीबागक सचिव राकेश ठाकुर घोषणा कयलनि जे वर्ष 2021 क साहित्य पुरस्कार (मैथिली) गिरिजानन्द झा “अर्धनारीश्वर”केँ प्रदान कैल जयतनि
ई निर्णय एहि पुरस्कार लेल गठित पाँच सदस्यीय निर्णायक मण्डल द्वारा सर्वसम्मतिसँ लेल गेल निर्णायक मण्डलमे छलाह प्रदीप बिहारी,कुमार मनीष अरविन्द,बुद्धिनाथ झा ,डा रवीन्द्र कुमार चौधरी एवं हितनाथ झा (संयोजक)
ई पुरस्कार 2016 ईस्वीसँ प्रत्येक वर्ष 27 नवंबरकेँ हजारीबागमे समारोहपूर्वक प्रदान कैल जाइत अछि । एहि पुरस्कारमे एगारह हजार(₹11000/-)टाका ,प्रशस्ति-पत्र, प्रतीक चिह्नसँ सम्मान कयल जाइत अछि । मैथिली साहित्यमे समग्र योगदान हेतु झारखंड राज्यमे स्थायी अथवा अस्थायी रूपसँ कमसँ कम दस वर्ष धरि रहनिहार साहित्यकारकेँ ई पुरस्कार प्रदान कयल जाइत अछि।
एहिसँ पूर्व कुमार मनीष अरविन्द ,डॉ0 विद्या नाथ झा विदित ,पंचानन मिश्र ,सियाराम झा सरस एवं बुद्धिनाथ झा पुरस्कृत भय चुकल छथि
संयोजक हितनाथ झा निर्णायक मण्डलक प्रति आभार व्यक्त कयलनि ।आर अर्धनारीश्वरकेँ अग्रिम बधाई देल गेलैन